× भाषा यूरोप रूसी बेलारूसी यूक्रेनी पोलिश सर्बियाई बल्गेरियाई स्लोवाकियाई चेक रोमानियाई माल्डोवियाई आज़रबाइजान अर्मेनियाई जॉर्जियाई अल्बानियन Avar बशख़िर टाटर चेचन स्लोवेनियाई क्रोएशियाई एस्तोनियावासी लात्वीयावासी लिथुआनियाई हंगेरी फिनिश नार्वेजियन स्वीडिश आइसलैंडिक यूनानी मेसीडोनियन जर्मन बवेरियन डच डेनिश वेल्श गेलिक आयरिश फ्रेंच बस्क कैटलन इतालवी गालेशियाई रोमानी Bosnian उत्तरी अमेरिका अंग्रेज़ी दक्षिण अमेरिका स्पेनिश पुर्तगाली गुआरानी Quechuan आयमारा मध्य अमरीका जमैका नहुआत्ल किचे क'एकची हाईटियन पूर्वी एशिया चीनी जापानी कोरियाई मंगोलियन उईघुर हमोंग दक्षिण - पूर्व एशिया मलेशियाई बर्मी हखा चिन नेपाली सिबुआनो तागालोग कम्बोडियन थाई इन्डोनेशियाई वियतनामी जावानीस लाओ इबान इयू मियां काचिन लहु Aceh Balinese Bugis Pampanga Sasak Shan Waray दक्षिण एशिया हिंदी डिया अवधी मिजो कन्नड़ मलयालम मराठी गुजराती तामिल तेलुगू पंजाबी कुरुख असमिया मैथिली बंगाली उर्दू सिंहली डोगरी हरियाणवी मीतेई कोंकणी संताली सिंधी कोया थाडो संस्कृत देवनागरी Adilabad Gondi Ahirani बलूची Bundeli Chhattisgarhi Garhwali Kangri Kumaoni Mewari Munda Sadri Seraiki Shekhawati Sylheti मध्य एशिया किरगिज़ उज़बेक ताजिक तुक्रमेन कजाखस्तान कारकल्पक मध्य पूर्व तुर्की यहूदी अरबी फ़ारसी कुर्द पश्तो कॉप्टिक अफ्रीका अफ्रीकी षोसा ज़ुलु नेबेले सोथो अम्हारिक् Wolaytta नाइजीरियाई मोस्सी इका दिन्का कबाइल भेड़ स्वाहिली मोरक्को सोमालियाई सोणा मेडागास्कर ईग्बो लिंगाला Baoulé सिस्वाती सोंगा सेत्स्वाना गाम्बिया योरूबा कंबा किन्यारवाण्डा होउसा चेवा लुओ मखुवा द्युला फुलफुल्ड कलेंजिन किकुयु किक्वांगो किरुंडी क्रियो नाइजीरियाई पिजिन ओरोमो तशिलूबा त्शिवेंदा ट्वी उंबुंदु लुगबारा लुगुरु पुलर गुस्सी मासाई तुर्काना मोबा नुएर शिलुक तमाशेक मकोंडे Bemba Fon Hadiyya Ibibio Kimbundu Kimiiru Lango Liberian Kreyol Lomwe Mende Morisyen Ndau Nyankole Sena Sidamo Soga Songe Sukuma Tarifit Teso Tiv Zande Dagbani ऑस्ट्रेलिया महाद्वीप न्यूजीलैंड पापुआ न्यू गिनी पुरानी भाषाएँ इब्रानी लैटिन एस्पेरांतो 1 1 1 मैथिली मैथिली1 1 1 इफिसी मत्तीमरकुसलूकायूहन्नामसीह-दूतरोमी1 कोरिन्थी2 कोरिन्थीगलातीइफिसीफिलिप्पीकुलुस्सी1 थिसलुनिकी2 थिसलुनिकी1 तिमुथियुस2 तिमुथियुसतीतुसफिलेमोनइब्रानीयाकूब1 पत्रुस2 पत्रुस1 यूहन्ना2 यूहन्ना3 यूहन्नायहूदाप्रकाशित-वाक्य1 1 1 1 1234561 1 1 : 1 12345678910111213141516171819202122231 1 1 Maithili Bible 2010 इफिसी 1 नोट सहेजें 1हम पौलुस, जे परमेश्वरक इच्छा सँ मसीह यीशुक एक मसीह-दूत छी, अहाँ सभ केँ ई पत्र लिखि रहल छी जे सभ इफिसुस नगर मे परमेश्वरक पवित्र लोक छी, अर्थात्, अहाँ विश्वासी सभ केँ जे मसीह यीशु मे छी।2अपना सभक पिता परमेश्वर आ प्रभु यीशु मसीह अहाँ सभ पर कृपा करथि और अहाँ सभ केँ शान्ति देथि।3अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक जे परमेश्वर आ पिता छथि, तिनकर स्तुति होनि! कारण, मसीह द्वारा ओ अपना सभ केँ स्वर्गीय क्षेत्रक प्रत्येक आत्मिक आशिष प्रदान कयने छथि।4ओ तँ संसारक सृष्टिओ सँ पहिने मसीह मे अपना सभ केँ चुनलनि, जाहि सँ अपना सभ मसीह मे संयुक्त भऽ कऽ हुनका नजरि मे पवित्र आ निष्कलंक होइ।5अपन प्रेमक कारणेँ ओ अपना खुशीक लेल और अपना इच्छानुसार शुरुए मे निश्चय कयलनि जे ओ अपना सभ केँ यीशु मसीह द्वारा अपन पोषपुत्र बनबथि,6जाहि सँ हुनकर ओ अनमोल कृपाक प्रशंसा होनि, जे ओ अपन प्रिय पुत्र द्वारा अपना सभ पर कयने छथि, जकरा पाबऽ जोगरक अपना सभ छलहुँ नहि।7किएक तँ मसीहक कारणेँ आ माध्यम सँ, अपना सभ केँ हुनकर बहाओल खून द्वारा छुटकारा भेटल अछि, अर्थात्, पापक क्षमा। ई सभ परमेश्वरक ओहि अपार कृपाक परिणाम भेल,8जे कृपा ओ अति खुशी मोन सँ अपना सभ पर बरसौलनि। अपन असीमित बुद्धि और ज्ञान सँ9ओ अपना सभ केँ अपन ओहि गुप्त योजना केँ बुझऽ देलनि जे ओ शुरुए मे अपना खुशीक लेल निर्धारित कयने छलाह, आ मसीह द्वारा पूरा करबाक निश्चय कयने छलाह।10हुनकर ओ योजना ई अछि जे, समय पूरा भेला पर ओ सभ वस्तु, अर्थात् जे किछु स्वर्ग मे अछि आ जे किछु पृथ्वी पर—सभ किछु केँ मसीहे द्वारा एकता मे आनि हुनकर अधीन करताह।11परमेश्वर अपना सभ केँ मसीहे मे अपन निज लोक होयबाक लेल चुनलनि। ई निर्णय हुनकर पहिने सँ बनाओल योजनाक भीतर छल; ओ तँ सभ बात मे अपन इच्छा और योजना पूरा करैत छथि।12हुनकर एहि निर्णयक उद्देश्य ई छलनि जे, हम सभ जे मसीह पर सभ सँ पहिने आशा रखनिहार छलहुँ—हमरा सभक कारणेँ आ हमरा सभक द्वारा हुनकर महिमाक गुणगान होनि।13तहिना अहूँ सभ जखन सत्यक सम्बाद सुनलहुँ, अपन उद्धारक शुभ समाचार सुनलहुँ, तँ विश्वासो कयलहुँ। आ जखन विश्वास कयलहुँ, तँ मसीह मे संयुक्त भऽ कऽ, परमेश्वरक देल वचनक अनुसार अहूँ सभ केँ हुनकर पवित्र आत्मा देल गेलाह, जे स्वयं अहाँ सभ पर लगाओल गेल एहि बातक छाप छथि जे अहाँ सभ हुनकर छिऐन।14परमेश्वरक पवित्र आत्मा बेनाक रूप मे एहि बात केँ पक्का करबाक लेल अपना सभ केँ देल गेलाह जे, जहिया परमेश्वर अपन निज लोकक छुटकारा पूरा करताह, तहिया अपना सभ केँ जे किछु उत्तराधिकार मे भेटऽ वला अछि, से सभ भेटि जायत। और एहि सभ बातक उद्देश्य ई अछि जे, हुनकर महिमाक प्रशंसा होनि।15एहि कारणेँ, प्रभु यीशु पर अहाँ सभक जे विश्वास अछि आ परमेश्वरक सभ लोकक लेल जे प्रेम अछि, ताहि विषय मे हम जहिया सँ सुनलहुँ,16तहिया सँ अहाँ सभक लेल सदिखन परमेश्वर केँ धन्यवाद दैत छिऐन, और अपना प्रार्थना मे अहाँ सभ केँ स्मरण करैत रहैत छी।17अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक परमेश्वर जे महिमामय पिता छथि, तिनका सँ हम ई प्रार्थना करैत छी जे ओ अपन आत्मा द्वारा अहाँ सभ केँ बुद्धि देथि और आत्मिक बात सभ बुझबाक लेल प्रकाश प्रदान करथि, जाहि सँ हुनका आओर नीक जकाँ जानि सकियनि।18हम इहो प्रार्थना करैत छी जे ओ अहाँ सभक भितरी आँखि खोलि देथि, जाहि सँ अहाँ सभ जानि ली जे हुनका द्वारा बजाओल जयबाक कारणेँ अहाँ सभक आशा कतेक महान् अछि, और ई जानि ली जे हुनकर लोक हुनका लेल केहन अद्भुत आ अनमोल उत्तराधिकार छनि ।19हुनका सँ हमर ई प्रार्थना अछि जे अहाँ सभ इहो जानि ली जे अपना सभ जे विश्वास कयनिहार छी तकरा सभक कल्याणक लेल सक्रिय रहऽ वला परमेश्वरक सामर्थ्य कतेक अपार अछि। ई सामर्थ्य वैह महान् शक्ति अछि जे ओ मसीह मे प्रगट कयलनि, जखन ओ हुनका मृत्यु सँ जिऔलनि आ स्वर्गीय क्षेत्र मे अपन दहिना कात बैसौलनि।20***21ओ हुनका ओहन स्थान देलथिन जे आरो सभ प्रकारक शासन और अधिकार, शक्ति और प्रभुता, और हर प्रकारक पद सँ उपर अछि जे ने मात्र एहि युग मे देल जा सकैत अछि, बल्कि आबऽ वला युग मे सेहो।22परमेश्वर सभ किछु हुनका अधीन मे कऽ देलथिन, और हुनका सभ बात पर सर्वोच्च प्रभु बना कऽ मण्डली केँ दऽ देलथिन।23मण्डली मसीहक देह अछि, आ तिनका सँ परिपूर्ण अछि जे सभ किछु केँ सभ तरहेँ परिपूर्णता धरि लऽ जाइत छथि।Maithili Bible 2010 ©2010 The Bible Society of India and WBT Maithili Bible 2010 इफिसी 1 00:00:00 00:00:00 0.5x 2.0x https://beblia.bible:81/BibleAudio/maithili/ephesians/001.mp3 6 1