एक साल में बाइबल अप्रैल 16लूका 13:1-221. तखने किछु लोक यीशु लग आबि कऽ हुनका किछु गलीली सभक बारे मे सुनौलकनि जे, कोना ओ सभ जखन बलि चढ़ा रहल छल तँ राज्यपाल पिलातुस ओकर सभक हत्या करबा देलथिन।2. यीशु उत्तर देलथिन, “की अहाँ सभ बुझैत छी जे ई गलील निवासी सभ आओर सभ गलील निवासी सँ अधिक पापी छल जे ओकरा सभ पर ई विपत्ति अयलैक?3. हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, नहि! मुदा अहाँ सभ जँ अपना पापक लेल पश्चात्ताप कऽ हृदय-परिवर्तन नहि करब, तँ अहूँ सभ एहिना नाश होयब।4. वा ओ अठारह गोटे जकरा सभ पर शिलोहक मिनार खसि पड़ल आ पिचा कऽ मरि गेल, की अहाँ सभ बुझैत छी जे ओ सभ यरूशलेमक आओर सभ निवासी सँ बेसी दोषी छल?5. हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, नहि! मुदा अहाँ सभ जँ अपना पापक लेल पश्चात्ताप कऽ हृदय-परिवर्तन नहि करब, तँ अहूँ सभ एहिना नाश होयब।”6. यीशु ओकरा सभ केँ ई दृष्टान्त दऽ कऽ कहलथिन, “एक आदमीक अंगूर-उद्यान मे एक अंजीरक गाछ छल। ओ ओहि सँ फल तोड़बाक लेल गेल, मुदा ओकरा किछुओ नहि भेटलैक।7. तखन ओ माली केँ कहलकैक, ‘देखह! हम तीन वर्ष सँ एहि गाछ सँ अंजीर तोड़ऽ अबैत छी, मुदा ई कोनो फले नहि दैत अछि। एकरा काटि दैह। ई बेकार जगहो छेकने अछि।’8. माली उत्तर देलकैक, ‘सरकार, एकरा एक वर्ष आओर रहऽ देल जाओ। हम एकरा चारू कात कोड़ि कऽ गोबर पटा देबैक।9. तखन अगिला वर्ष जँ फड़त, तँ ठीक, नहि तँ अपने एकरा कटबा देबैक।’ ”10. एक विश्राम-दिन मे यीशु एकटा सभाघर मे उपदेश दऽ रहल छलाह।11. ओहिठाम एक स्त्री छलि जकरा अठारह वर्ष सँ दुष्टात्मा लगबाक कारणेँ डाँड़ टुटल छलैक। ओ एकदम झुकल रहैत छलि और कनेको सोझ नहि भऽ सकैत छलि।12. यीशु ओकरा देखि बजा कऽ कहलथिन, “बहिन, अहाँ अपना कष्ट सँ मुक्त भऽ गेलहुँ।”13. तखन ओ ओकरा पर हाथ रखलनि, और ओ तुरत्ते सोझ भऽ गेलि आ परमेश्वरक स्तुति करऽ लागलि।14. एहि पर सभाघरक अधिकारी तमसा गेलाह जे यीशु किएक विश्राम-दिन मे ककरो ठीक कयलनि, और ओ लोक सभ केँ कहलथिन, “छओ दिन अछि जाहि मे काज करबाक चाही। ओहि छओ दिन मे आउ और स्वस्थ कऽ देबाक लेल कहू, नहि कि विश्राम-दिन मे।”15. प्रभु हुनका उत्तर देलथिन, “हे पाखण्डी सभ! की अहाँ सभ मे सँ प्रत्येक आदमी विश्राम-दिन मे अपन बड़द वा गदहा केँ थरि सँ खोलि कऽ पानि पिअयबाक लेल नहि लऽ जाइत छी?16. तँ ई स्त्री जे अब्राहमक वंशज अछि, और जे अठारह वर्ष सँ शैतानक बन्हन मे छलि, की एकरा विश्राम-दिन मे एहि बन्हन सँ मुक्त नहि करबाक चाही?”17. यीशु जखन ई बात कहलनि तँ हुनकर सभ विरोधी लज्जित भऽ गेल। मुदा लोक सभ हुनकर नीक-नीक काज सभ देखि अति आनन्दित भेल।18. तखन यीशु कहलनि, “परमेश्वरक राज्य केहन अछि? ओकर तुलना हम कोन चीज सँ करू?19. ओ सरिसोक दाना जकाँ अछि जकरा किसान अपना बाड़ी मे बाउग कयलक। ओ बढ़ि कऽ नमहर गाछ बनि गेल, और ओकर ठाढ़ि मे आकाशक चिड़ै सभ आबि कऽ अपन खोंता बना लेलक।”20. यीशु फेर कहलनि, “परमेश्वरक राज्यक हम कोन चीज सँ तुलना करू?21. ओ ओहि खमीर जकाँ अछि जकरा एक स्त्री तीन पसेरी आँटा मे मिला कऽ सनलक। बाद मे खमीरक शक्ति सँ पूरा आँटा फुलि गेलैक।”22. तखन यीशु नगर-नगर और गाम-गाम घूमि कऽ लोक सभ केँ उपदेश दैत यरूशलेम दिस बढ़ऽ लगलाह। Maithili Bible 2010 ©2010 The Bible Society of India and WBT