एक विषय पर बाइबिल के श्लोक

विषय
ईश्वर
नीक चरित्र
खराब चरित्र
पाप
जीवन
चर्च
रहस्य
स्वर्गदूत आ राक्षस
गणित के संकेत
अतिरिक्त
जीवन: [स्वास्थ्य]
[19] की अहाँ सभ नहि जनैत छी जे अहाँ सभक शरीर परमेश्‍वरक पवित्र आत्‍माक मन्‍दिर अछि, जे आत्‍मा अहाँ सभ मे वास करैत छथि आ जे अहाँ सभ केँ परमेश्‍वर सँ प्राप्‍त भेल छथि? अहाँ सभ अपन नहि छी। [20] अहाँ सभ दाम दऽ कऽ किनल गेल छी। एहि लेल अपना शरीर द्वारा परमेश्‍वरक सम्‍मान करू।
प्रिय मित्र, हम परमेश्‍वर सँ प्रार्थना करैत छी जे जहिना अहाँ आत्‍मिक रूप मे कुशल छी, तहिना आओर सभ बात मे सकुशल रहैत स्‍वस्‍थ रही।
अहाँ सभ खाइ वा पिबी वा जे किछु करी, सभ किछु एहि लेल करू जाहि सँ परमेश्‍वरक महिमा प्रगट होनि।
शारीरिक साधना सँ किछु लाभ तँ अछि, मुदा भक्‍ति सँ असीमित लाभ अछि, किएक तँ ओ जीवनक आश्‍वासन दैत अछि इहलोक मे सेहो और परलोक मे सेहो।
दारू पिबि कऽ मतवाला नहि होउ, किएक तँ मतवालापन मात्र दुराचार वला मार्ग पर लऽ जाइत अछि, बल्‍कि परमेश्‍वरक आत्‍मा सँ परिपूर्ण होउ।
आब हम अहाँ सभ सँ विनती करैत छी, किछु खा लिअ! नहि तँ बाँचब कोना? अहाँ सभ मे सँ ककरो कोनो तरहक हानि नहि होयत।”
एहि कारणेँ परमेश्‍वरक लोक सभ केँ, अर्थात् तकरा सभ केँ, जे सभ परमेश्‍वरक आज्ञाक पालन करैत अछि आ यीशु पर विश्‍वास करऽ मे स्‍थिर रहैत अछि, धैर्यक संग साहस रखनाइ जरूरी अछि।
Maithili Bible 2010
2010 The Bible Society of India and Wycliffe Bible Translators, Inc