जँ हमरा अयबा मे विलम्ब भऽ जाय, तँ अहाँ एहि बात केँ जानि ली जे परमेश्वरक परिवार मे लोकक चालि-चलन केहन रहबाक चाही। परमेश्वरक परिवार जे अछि, से जीवित परमेश्वरक मण्डलिए अछि। वैह सत्यक खाम्ह आ न्यो अछि।
“हे मृत्यु, तोहर विजय कतऽ छौक? हे मृत्यु, कतऽ छौक तोहर डंक?”
जे हमर माँसु खाइत अछि और हमर खून पिबैत अछि, तकरा अनन्त जीवन छैक, और हम ओकरा अन्तिम दिन मे जिआ देबैक।
की ई लकड़ी मिस्तिरी नहि अछि? की ई मरियमक बेटा और याकूब, योसेस, यहूदा और सिमोनक भाय नहि अछि? की एकर बहिन सभ अपना सभक बीच नहि रहैत अछि?” ओ सभ यीशु सँ डाह करऽ लागल।
[1] “अहाँ सभ अपना मोन मे घबड़ाउ नहि। परमेश्वर पर विश्वास करैत रहू और हमरो पर विश्वास करैत रहू। [2] हमरा पिताक घर मे बहुते रहऽ वला जगह अछि, और हम अहाँ सभक लेल जगह तैयार करऽ जा रहल छी। ई बात जँ नहि रहैत तँ हम अहाँ सभ केँ कहि दितहुँ। [3] और जँ हम अहाँ सभक लेल जगह तैयार करऽ जा रहल छी, तँ हम फेर आयब, और अहाँ सभ केँ हम अपना लग लऽ जायब, जाहि सँ हम जतऽ छी, ततऽ अहूँ सभ रही। जाहिठाम हम जा रहल छी,
[28] एहि बात सँ आश्चर्यित नहि होउ! कारण, ओ समय आबि रहल अछि जहिया मरलाहा लोक सभ अपन कबर मे सँ हुनकर आवाज सुनि कऽ [29] बाहर निकलि आओत। जे नीक कयने अछि से जीवनक लेल उठत, और जे अधलाह कयने अछि से दण्ड पयबाक लेल उठत।
जँ जीवित रहैत छी तँ प्रभुक लेल आ जँ मरैत छी तँ प्रभुक लेल। तेँ अपना सभ जीबी वा मरी, प्रभुएक छी।
अपना सभ जनैत छी जे परमेश्वर सँ प्रेम कयनिहार लोक, अर्थात् हुनका उद्देश्यक अनुरूप बजाओल गेल लोक सभक लेल प्रत्येक परिस्थिति मे परमेश्वर भलाइ उत्पन्न करैत छथि।
[13] यौ भाइ लोकनि, हम सभ नहि चाहैत छी जे अहाँ सभ ताहि भाय सभक दशा सँ अनजान रही जे सभ मरि गेल छथि । एना नहि होअय जे अहाँ सभ बाँकी लोक सभ जकाँ दुखी होइ, जकरा सभ केँ कोनो आशा नहि छैक। [14] हमरा सभ केँ विश्वास अछि जे यीशु मरलाह आ जीबि उठलाह। तहिना इहो विश्वास अछि जे, जे केओ यीशु पर विश्वास करैत मरि गेल छथि, तिनको सभ केँ जहिया यीशु फेर औताह तहिया परमेश्वर हुनका संग अनथिन। [15] हमरा सभ केँ प्रभु सँ जे शिक्षा भेटल अछि ताहि अनुसार अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, अपना सभ जे सभ प्रभुक अयबाक समय तक जीवित रहब से सभ तिनका सभ सँ पहिने प्रभु लग ऊपर किन्नहुँ नहि उठाओल जायब जे सभ मरि गेल छथि। [16] कारण, जखन प्रभु आदेश देताह आ प्रधान स्वर्गदूतक स्वर सुनाइ पड़त और परमेश्वरक धुतहूक आवाज सुनाइ देत, तखन प्रभु स्वयं स्वर्ग सँ उतरताह, और जे सभ मसीह पर विश्वास करैत मरि गेल छथि से सभ पहिने जीबि उठताह। [17] तखन अपना सभ, जे सभ तहिओ जीवित रहब, सेहो हुनके सभक संग मेघ मे उठाओल जा कऽ आकाश मे प्रभु सँ भेटब। एहि तरहेँ अनन्त काल धरि अपना सभ प्रभुक संग रहब। [18] तेँ एहि बात सभ द्वारा एक-दोसराक उत्साह बढ़बैत रहू।
कारण, जखन प्रभु आदेश देताह आ प्रधान स्वर्गदूतक स्वर सुनाइ पड़त और परमेश्वरक धुतहूक आवाज सुनाइ देत, तखन प्रभु स्वयं स्वर्ग सँ उतरताह, और जे सभ मसीह पर विश्वास करैत मरि गेल छथि से सभ पहिने जीबि उठताह।
यीशु हुनका कहलथिन, “जीबि उठाबऽ वला और जीवन देबऽ वला हमहीं छी। जे केओ हमरा पर विश्वास करैत अछि, से जँ मरिओ जायत, तैयो जीअत।
जखन ई नाश होमऽ वला शरीर अविनाशी वला केँ, आ ई मरणशील शरीर अमरता केँ धारण कऽ लेत तखन धर्मशास्त्रक ई बात पूरा भऽ जायत जे, “मृत्यु पर विजय भऽ गेल अछि! ओ आब समाप्त भेल।”
हँ, हम सभ साहस रखैत छी आ एहि देह सँ अलग भऽ कऽ प्रभुक लग वला “घर पर” रहनाइ केँ सभ सँ उत्तम मानैत छी।
[13] यौ भाइ लोकनि, हम सभ नहि चाहैत छी जे अहाँ सभ ताहि भाय सभक दशा सँ अनजान रही जे सभ मरि गेल छथि । एना नहि होअय जे अहाँ सभ बाँकी लोक सभ जकाँ दुखी होइ, जकरा सभ केँ कोनो आशा नहि छैक। [14] हमरा सभ केँ विश्वास अछि जे यीशु मरलाह आ जीबि उठलाह। तहिना इहो विश्वास अछि जे, जे केओ यीशु पर विश्वास करैत मरि गेल छथि, तिनको सभ केँ जहिया यीशु फेर औताह तहिया परमेश्वर हुनका संग अनथिन।
किएक तँ अपना सभ गोटे केँ मसीहक न्यायासनक सामने उपस्थित होमऽ पड़त जाहि सँ प्रत्येक व्यक्ति केँ अपना देहधारी जीवन मे कयल नीक अथवा अधलाह काज सभक प्रतिफल भेटैक।
मालिक ओहि सेवक केँ कहलथिन, ‘चाबस! तोँ नीक आ भरोसमन्द सेवक छह! थोड़बो वस्तु मे तोँ विश्वसनीय रहलह। हम आब तोरा बहुत वस्तु पर अधिकार देबह। अपन मालिकक आनन्द मे सहभागी बनह!’
किएक तँ पापक मजदूरी अछि मृत्यु, मुदा परमेश्वरक वरदान अछि अनन्त जीवन जे अपना सभक प्रभु, मसीह यीशुक माध्यम सँ प्राप्त होइत अछि।
जहिना ई निश्चित कयल गेल अछि जे मनुष्य एके बेर मरय आ तकरबाद ओकर न्याय कयल जाइक,
[3] यीशु हुनका उत्तर देलथिन, “हम अहाँ केँ सत्ये कहैत छी जे, जाबत तक केओ नव जन्म नहि लेत ताबत तक ओ परमेश्वरक राज्य नहि देखि सकत।” [4] निकोदेमुस हुनका कहलथिन, “केओ बूढ़ भऽ कऽ कोना जन्म लेत? की ओ मायक गर्भ मे दोसर बेर प्रवेश कऽ फेर जन्म लऽ सकत?!” [5] यीशु उत्तर देलथिन, “हम अहाँ केँ विश्वास दिअबैत छी जे, जाबत तक केओ जल और आत्मा सँ जन्म नहि लेत ताबत तक ओ परमेश्वरक राज्य मे प्रवेश नहि कऽ सकत।
सभक संग मेल-मिलाप सँ रहबाक लेल आ पवित्र जीवन बितयबाक लेल पूरा मोन सँ प्रयत्न करू, कारण, पवित्रताक बिना केओ परमेश्वर केँ नहि देखऽ पाओत।
“हँ, परमेश्वर संसार सँ एहन प्रेम कयलनि जे ओ अपन एकमात्र बेटा केँ दऽ देलनि, जाहि सँ जे केओ हुनका पर विश्वास करैत अछि से नाश नहि होअय, बल्कि अनन्त जीवन पाबय।