एक विषय पर बाइबिल के श्लोक

विषय
ईश्वर
नीक चरित्र
खराब चरित्र
पाप
जीवन
चर्च
रहस्य
स्वर्गदूत आ राक्षस
गणित के संकेत
अतिरिक्त
पाप: [गर्भपात करब]
जे बात सभ संसार मे नीच, तुच्‍छ आ नगण्‍य मानल जाइत अछि ओहन बात सभ केँ परमेश्‍वर एहि लेल चुनलनि जे ओ तेहन बात सभ केँ नष्‍ट कऽ देथि जे संसार मे महत्‍वपूर्ण मानल जाइत अछि,
मुदा परमेश्‍वर मायक गर्भे सँ हमरा अपना लेल अलग रखने छलाह आ हमरा पर कृपा कऽ हमरा बजौलनि।
किएक तँ मसीहक कारणेँ आ माध्‍यम सँ, अपना सभ केँ हुनकर बहाओल खून द्वारा छुटकारा भेटल अछि, अर्थात्‌, पापक क्षमा। ई सभ परमेश्‍वरक ओहि अपार कृपाक परिणाम भेल,
[6] ओतहि रहैत मरियम केँ बच्‍चाक जन्‍म देबाक समय आबि गेलनि, [7] आ ओ अपन पहिल पुत्र केँ जन्‍म देलनि। ओ बच्‍चा केँ कपड़ाक टुकड़ा मे लपेटि कऽ नादि मे राखि देलथिन, कारण हुनका सभ केँ रहबाक लेल सराय मे कोनो स्‍थान नहि भेटल छलनि।
[3] अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक जे परमेश्‍वर आ पिता छथि, तिनकर स्‍तुति होनि! कारण, मसीह द्वारा ओ अपना सभ केँ स्‍वर्गीय क्षेत्रक प्रत्‍येक आत्‍मिक आशिष प्रदान कयने छथि। [4] ओ तँ संसारक सृष्‍टिओ सँ पहिने मसीह मे अपना सभ केँ चुनलनि, जाहि सँ अपना सभ मसीह मे संयुक्‍त भऽ कऽ हुनका नजरि मे पवित्र आ निष्‍कलंक होइ।
[19] की अहाँ सभ नहि जनैत छी जे अहाँ सभक शरीर परमेश्‍वरक पवित्र आत्‍माक मन्‍दिर अछि, जे आत्‍मा अहाँ सभ मे वास करैत छथि आ जे अहाँ सभ केँ परमेश्‍वर सँ प्राप्‍त भेल छथि? अहाँ सभ अपन नहि छी। [20] अहाँ सभ दाम दऽ कऽ किनल गेल छी। एहि लेल अपना शरीर द्वारा परमेश्‍वरक सम्‍मान करू।
[41] जखन इलीशिबा मरियमक नमस्‍कार सुनलनि तँ हुनकर पेटक बच्‍चा कुदि उठलनि आ इलीशिबा पवित्र आत्‍मा सँ परिपूर्ण भऽ जोर सँ बाजि उठलीह, [42] “स्‍त्रीगण मे अहाँ धन्‍य छी, आ धन्‍य छथि ओ जिनका अहाँ जन्‍म देबनि। [43] मुदा हम कोन जोगरक छी जे हमर प्रभुक माय हमरा ओतऽ अयलीह? [44] अहाँक कहल नमस्‍कार शब्‍द जखने हमरा कान मे पड़ल, तखने हमर पेटक बच्‍चा खुशी सँ कुदि उठल।
Maithili Bible 2010
2010 The Bible Society of India and Wycliffe Bible Translators, Inc